एहन सुन्दर देवघर धाम,बाबा बैसल छथि एहिठाम...मैथिली भक्ति गीत
मैथिली भाषा में बैधनाथधाम पर भक्ति गीत सुना रहे हैं, सुनील कुमार मालीघाट, जिला-मुजफ्फरपुर (बिहार ) से:
एहन सुन्दर देवघर धाम,बाबा बैसल छथि एहिठाम-
सन्मुख पार्वती विराजथि एहि नगरिया में, देवघर नगरिया में-
दाहिना काल भैरव सरकार, बामा आन्नद बटुक दुआर-
दक्षिण काली माता ठाढ़ मंदिरिया में, देवघर नगरिया में-
हर-हर बम बम केर नारा, नित दिन गंगा जल धारा-
बम भोला कैलाश पहड़िया में, देवघर नगरिया में-
सुन्दर कीर्तन केर ओरियान, गायन वादन सकल विधान-
पंडा बाबा के जुटान जल ढढ़िया में, देवघर नगरिया में-
जीबू, बैजू , मणिकांत,एहिना ध्याने मगन एकांत-
एलियै मिथिला सं बैजू नगरिया में, देवघर नगरिया में...